PSMT

पुनौराधामक विकास अयोध्या समान पचास किलोमीटरसँ बेसीक परिधिमे हो

M

Manoj Pathak

Journalist, broadcaster and seeker. Forty-five years in Indian media.

 अयोध्या समान सीता प्राकट्य धामक विकास पचास किलोमीटरसँ बेसीक परिधिमे करबाक हो संकल्पना

भारतक गृह एवं सहकारिता मंत्री श्री अमित शाह 8 अगस्त 2025 केँ बिहारक सीतामढ़ी जिला मुख्यालय सीतामढ़ीमे माँ सीताक जन्मस्थली पुनौरा धाम  मंदिर ओ परिसरके समग्र विकासक वृहद योजनाक भूमिपूजन कयलनि। पूजन पश्चात श्री अमित शाह वीडियो कांफ्रेंसक माध्यमसँ सीतामढ़ी सँ दिल्लीक लेल अमृत भारत ट्रेनकेँ हरियर झंडा देखा कय शुभारम्भ सेहो कयलनि। एहि अवसर पर बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सहित अनेको गणमान्य व्यक्ति उपस्थित छलाह।

सीताक जन्मस्थली हुनक प्राकट्य स्थल पुनौराधाम सीतामढ़ीमे आब भव्य मन्दिर परिसर अयोध्या समान विकसित भ, रहल अछि मुदा जखन 22 जनवरी 2024 केँ अयोध्यामे नव निर्मित श्री राम जन्मभूमि मन्दिरक उद्घाटन भ, रहल छल तहिया सीताक जन्म स्थान कतय अछि तेकरा ल, क, जागरुकता बहुत कम छल। अधिकांश लोक नेपालक जनकपुरकेँ सीताक जन्म स्थान बुझैत छलाह जखन कि जनकपुर प्राचीन मिथिलाक राजधानी रहल अछि जतय सीताक लालन पालन भेल रहनि। हुनक जन्म स्थल -प्राकट्य स्थान राजा सीरध्वज जनक केर राजधानी जनकपुर नहि अपितु हुनक राजधानी सँ बहुत दूर पुण्डरीक ऋषिक आश्रम परिसरक लगीच भेल रहनि जे पुण्डरीक ऋषिक स्मृतिमे आब पुनौराधाम कहबैत अछि।

मिथिलामे भारी अकाल पड़ला पर राजा जनक हर चलौने छलाह। हर चलेबासँ पहिने विधि विधानसँ कुल देव महादेवक पूजन भेल छल। ओ महादेव स्थान आइ हलेश्वर महादेव कहबैत छथि। हरक नोक जतय घैलसँ टकरायल छल आ सीता भूमिसँ बहरायल छलीह से स्थान पुनौराधाम अछि।

सीता प्राकट्य होइते कारी कारी बदरी आबि गेल आ बुन्नी झहरय लागल। मेघ एतय गरजय आ बरिसय लागल जे ओतय मढ़ी बनाओल गेल जाहिसँ नवजात सीताके भिजबासँ बचाओल जा सकय। जाहि स्थान पर मढ़ी बनल ओ सीताक लेल बनल पहिल मढ़ी छल तेँ काल क्रम मे सीतामढ़ी नामसँ प्रख्यात भेल।

देशमे अनेको सीतामढ़ी अछि। ओहिमेसँ अधिकांश सीतामढ़ी सीतारामक वनवास प्रसंगसँ जुड़ल अछि। मुदा सीताक लेल बनल पहिल मढ़ी हुनक प्राकट्य स्थलक प्रति जागरुकता घटैत चलि गेल।

श्रीरामक अयोध्या विश्व पटल पर हुनक जन्मभूमिक रूपमे प्रख्यात भेल मुदा सीता प्राकट्य स्थल पुनौराधाम प्रसिद्धिक लेखे हेरा गेल आ जखन श्रीराम जन्मभूमि मंदिर उद्घाटन पर रामक सासुर नेपाल कहि खबरिया चैनल अपन छाती पीटि-पीटि क, खबरि चलाबय लागल तँ एक मैथिल हृदय फाटिक, नोर बनि झहरय लागल आ सीता प्राकट्य धाम विश्व पटल पर स्थापित करबाक संकल्प बनि 17 फरवरी सँ 13 मार्च 2024 धरि श्रीराम जन्मभूमि मन्दिरक सिंह द्वारसँ सीता प्राकट्य स्थल पुनौराधाम धरि पदयात्राक रूपमे एकटा महागाथा बनि गेल। एहि महागाथामे समाजक ओ प्रत्येक वर्ग आ लोक अपन योगदान देलक जे स्वयंके सीता रामक संतान मानैत अछि। सीतारामक भक्त अछि।

2024 जानकी ज्योति जागृति यात्राक संपूर्ण विवरण तटस्थ निर्ममताक संग एतय राखल जा रहल अछि एहि संतोषक संग जे पीड़ा फरवरी -मार्च 2021 मे लगभग सत्तर सदस्यीय दलक संग दिल्ली सँ अयोध्या पदयात्रा क्रममे एकटा टभकैत फोंका जकाँ गिरह बान्हि लेने छल आ लगातार फोफनाइत रहै छल से 8 अगस्त 2025 केँ श्री अमित शाह द्वारा पुनौराधाममे सीता मन्दिरक आधारशिला रखबाक संग फूटि गेल। आब ई फोंका एकटा धार जकाँ प्रतिपल बहि रहल अछि।

एहि धारक खिस्सा एतय जानकी ज्योति जागृति यात्राक साक्ष्य रूपमे कड़ी दर कर राखल जा रहल अछि।

 सीता जन्मक हेतु अनेक परम विचित्र एक सँ एक

जी अहाँक अनुमान एकदम ठीक अछि ई पांति गोस्वामी तुलसीदासक अमर ग्रन्थ श्री रामचरित मानस सँ लेल गेल अछि। बस एकरा एहि ठाम अनुवाद राखयमे, राम जन्म के हेतु अनेका। परम विचित्र एक तेँ एका, मे रामक स्थान पर सीता कयल गेल अछि।

 राम आ सीता अभिन्न छथि। एक दोसराक पूरक छथि। तथापि लौकिक जगतमे लीला स्वरूप दुनूक पार्थक्य विशेष अर्थ रखैत अछि। दुनूक जन्म स्थान, प्राकट्य स्थानक एकीकरण भारतीय संस्कृति मात्र नहि अपितु वैश्विक संस्कृतिक विकास लेल एक टा अनिवार्य प्रकल्पघटित भेल अछि भारतक धरा भूमि पर।

 एहि प्रकल्पक विकास ओ मूल्यक प्रसार ओ वितरण सम्यक होयबाक चाही। एकांगी विकास असन्तुलन उत्पन्न करत। मूल्यक क्षरण बढ़त। अभिनय होइत रहत। अभिनेता रूपी राम मंच पर धनुष भंग करैत रहताह, विजया दशमी पर रावणक पुतला भस्म करैत रहताह मुदा एहि अभिनेताक अन्तर्मनमे बैसल दशमुख अट्टाहास करैत रहत। रामक नाम पर रावण राज चलैत रहत। भारत टा नहि दुनिया भरिक संस्कृतिमे। कारण एसकर रामक मूल्य काज नहि करैत छैक, सीताक संयोग आ वियोग रामक मूल्यकेँ पूर्णता दैत छैक। सीता ओ राम दुनूक मूल्यक एकीकरण मर्यादा बन्हैत छैक। ओकर प्रसारक बाट प्रशस्त करैत छैक।

 समकालमे एसकर रामकेँ बढ़ाओल जा रहल अछि। राम अपना समयक सब संस्कृतिकेँ, विचारधाराकेँ सम्मान दैत छथि। ओकरा परिवर्तित क, अयोध्याक सांचामे बान्हि छेक फिट करबाक लेल कठोर डेग नहि उठबैत छथि। रामक ई मूल्य समकालमे कतय देखबाक लेल भेटि रहल अछि? कनेक नजरि उठा क, देखल जाय। नहि सुझाय तँ बाह्य चक्षु मूनि अन्तर्चक्षुसँ देखल जाय। एकर कारण अछि सीता जे रामक शक्ति थिकीह से नेपथ्यमे बिसराओल गेल छथि। रामक संग रहि वा वियोग कालमे दूरो रहि रामक मर्यादाकेँ बन्हैवाली शक्तिके हम अहाँ नहि सेवि रहल छी। सीता संग भेलाक बाद डेग-डेग पर रामक संग उचित अनुचितकें ल, अपन पक्ष रखैत छथि, दुनू मिलि विचार करैत छथि आ तेकर बाद जे सबसँ उपयुक्त लगैत छनि ताहि बाट पर दम्पत्ति मिलि-जुलि चलि पड़ै छथि।

पछिला डेढ़ दशक सँ अधिक अवधिसँ रामक वन गमन मार्ग पर हम काज क, रहल छी। आइ जाहि राम वन गमन स्थल सभक धूम मचल अछि से टेलीविजन चैनल पर हम २१म सदीक पहिल दशकसँ प्रचारित प्रसारित करबामे लागल छी। डॉ रामअवतार भारत सरकार द्वारा गठित रामायण सर्किट समितिक पहिल अध्यक्ष नियुक्त भेल रहथि। ई पांति लिखबा धरि वैह अध्यक्ष छथि। तखन हम जी टीवी समूहक धार्मिक चैनल जी जागरणसँ जुड़ल रही। ताहि अवधिमे ओ अपन रामक वन गमन मार्ग शोध पर कार्यक्रम निर्माण संभावना ल, क, आयल रहथि। एकर संभावना पर विचार करबाक दायित्व हमरा देल गेल। रामक लीलाभूमि पर आधारित ई शोध डॉ राम अवतारक परती भीठ तोड़ैवला काज छैक। अपन रिपोर्टमे हम एहि शोधपर अत्यंत लोकप्रिय कार्यक्रम बनि सकबाक संभावना व्यक्त करैत उच्च प्रबन्धनकेँ पठौने रही। मुंबइमे बैसल उच्च प्रबन्धन एक टा डमी बनेबाक निर्देश देलक। एहि डमीक निर्माण ओ प्रस्तुति हम कयने रही। डमी एपिसोडक एंकर हमही रही। डमी फेर मुंबइ गेल। एक सुझावक संग प्रस्ताव पास भेल जे डमी एंकरक फेस वैल्यू नहि छैक तेँ नीक फेस वैल्यूवला एंकर राखल जाय। ठीक-ठाक बजट संग ५२ एपिसोड बनेबाक मंजूरी उच्च प्रबन्धन देलक।

 रामानन्द सागरक राम अरुण गोविलकेँ एंकर राखि जहँ – जहँ चरण पड़े रघुवर के नामक एहि धारावाहिक केर शीर्षक गीत कैलाश खेर गओने रहथि। लगभग साल भरि चलयवला ई कार्यक्रम काफी लोकप्रिय भेल रहय।

 ई जानकारी एतय देबाक एकमात्र उद्देश्य जे राम वनगमन मार्गक शोधकर्ता डॉ रामअवतारक संग एहि शताब्दीक आरंभिक दशकमे जे परिचय भेल से आइ गुरु शिष्यवत अछि। हुनक प्रकल्प सभक संग हम लगातार जुड़ल रहल छी। रेडियो टेलीविजन मीडिया कर्मी होयबाक कारणे यथासंभव सहयोग हम प्रचार प्रसारमे दैत आबि रहल छी। रामअवतार श्री रामकेँ भारतक त्रेतायुगमे मनुष्य योनिमे जनमल एक टा ऐतिहासिक व्यक्ति मानैत छथि। हमरा दुनूक बीच मैत्री ओ साम्यक ई धरातल ईश्वरीय योजनासँ बनल होयत से हम मानैत छी।

 डा रामअवतार रामक यात्रा स्थल पर गंभीर शोध कयने छथि। रामक वनगमन अर्थात सीता अपहरण धरिक जे लीला स्थल अछि से रामक संग-संग सीताक लीलाभूमि सेहो अछि। राम आ सीता संग मिलि दिऔर लक्ष्मणक संग जाहि स्थान सब पर गेल छथि ओहिमे सँ अनेको स्थल पर हुनका सभक स्मृति आइयो बाँचल अछि। अनेको स्थान लुप्त सेहो भ, गेल होयत। मुदा जे स्थान बाँचल अछि ओतुका जुड़ाव अबैवला समयमे अयोध्याक संग बढ़तैक। जाहि स्थान पर लोक बेर-बेर अबैत जाइत अछि ओकर विकास स्वाभाविक रूपे भेल चल जाइत छैक। ओहि स्थानक निरन्तरता लगातार कालक भाल पर बनल रहैत छैक।

 अयोध्या अबैवला समयमे एक बेर फेर अपन उत्कर्षक दिशामे अग्रसर भ, रहल अछि। रामक जन्मस्थान अयोध्यामे पाँच हजारसँ बेसी मन्दिर छैक। देश भरिक विभिन्न संस्कृतिक लोकसभक अपन केन्द्र छैक। ओतुका मठ मन्दिरक महन्त अपन क्षेत्रीय सांस्कृतिक अस्मिता बनौने रहैत छथि। आब रामजन्मभूमि मन्दिर पर बनल नव मन्दिरक संग दुनिया भरिक लोक अयोध्या अयताह। दर्शन पूजन करताह आ एहि क्रममे अयोध्या नगरक क्रमिक विकासक लेल राजस्व संग्रह सहज होइत चलत। एतय ध्यातव्य ई जे सीता प्राकट्य स्थानक आइ की स्थिति अछि? एहि ठाम कतेक मन्दिर छैक? रोज अबै जाइवला लोक सभक संख्या कतेक छैक?

 अयोध्या वा कही प्राचीन भारतक अवध देश, तेकर अगुआ चिंतक आ राजनेता भारतीय संस्कृतिक निर्माता लोकनिमे सँ तीन प्रमुख नायक राम कृष्ण ओ महादेवक मुख्य लीला भूमि अयोध्या, मथुरा-वृन्दावन आ काशी केर विकास अबैवला पीढ़केँ ध्यानमे राखि करबाक लेल सन्नध छथि। काशी अपन चरम पर पुनः पहुँचि रहल अछि। अयोध्या राम जन्मभूमि मन्दिरक संग अपन उत्कर्ष पर पहुँचि गेल। मथुरा सेहो पहुँचबे करत। अयोध्या काशी मथुराक त्रिकोण दुनिया भरिक भारतीय मूलक लोककेँ आकर्षित करत।

 मुदा हमर अहाँक मिथिला अपन अस्तित्वक संकटसँ जूझि रहल अछि। प्राचीन ओ मध्य भारतक समृद्ध मिथिला देश अपन भौगोलिक इकाइ गमा लेलक। चाहे एहि पार भारतक मिथिला हो वा ओहि पार नेपालक मिथिला कतय बाँचल अछि अपन सांस्कृतिक ओ भौगोलिक इकाइ?

 नेपालक मिथिला मधेश भ, गेल। भारतक मिथिला खण्ड-खण्ड पाखण्डमे डूमल अछि। मगधक प्राचीन सत्ता ओ संस्कृति मिथिलाक वैभव लुटबा, गौरव ढाहबाक जाहि अभियानकेँ आरंभ कयने छल ओ आइयो चलि रहल अछि।

 एहनामे मिथिला लग मैथिली माने सीता सबसँ पैघ ऑइकॉन छथि। सीताक अस्तित्वकेँ किओ नकारि नहि सकैत अछि। भारतीय संस्कृतिमे सीता सहित चारू बहिन माण्डवी, श्रुतकीर्ति ओ उर्मिलाक योगदानकेँ नकारि नहि सकैत अछि। ओहि सीताक प्राकट्य धाम अछि सीतामढ़ी।

मुदा सीतामढ़ी सीताक प्राकट्य स्थान अछि से बहुत कम लोक जनैत छथि। सीता मिथिलाक बेटी थिकीह तेकर स्थान पर सीता नेपालक बेटीक रूपमे प्रचारित प्रसारित कयल जा रहलीह अछि। मिथिलाक उत्तरमे नगाधिराज हिमालय छथि। कहैत छथि आदि कवि वाल्मीकि, तुलसीदास कंबन सहित सब रामकथा कहैवला, गबैवला सिद्ध कवि साधक लोकनि। मुदा से मिथिला हेरा रहल अछि। मैथिली हेरा रहलीह अछि।

 एहनामे प्राचीन भारतक गौरवशाली देश मिथिलाक मान ढहबाक किछेरि पर छैक। एकर अस्तित्व लोप होयबाक दिशामे छैक। मिथिलाक हृदयस्थल जनकपुर मिथिलाक राजधानी नहि अपितु कालान्तरमे नेपालक सत्ताधीश जेना चाहताह तेना नेपालक एक टा भौगोलिक इकाइ रूपमे बाँचत।

सुगौली सन्धिसँ मिथिला दू भागमे बंटा गेल। मुदा समकालमे ने एहि पार मिथिला आ ने ओहि पार मिथिला राजनीतिक \ भौगोलिक इकाइ बाँचल अछि। नेपालक धनुषा गाम, धनुषा जिला ओहि त्रेतायुगीन भारत वर्षक मिथिला देशक स्मृति अछि जाहिमे राम शिवधनुष तोड़ने छलाह आ ओकर टुकड़ी जतेक दूरमे छिड़िआयल छल, मिथिलाक शिवभक्त लोक तेकरा बीछि भोलेनाथक अस्त्रक अंश मानि सम्हारि क, रखने छलाह।

 महादेवक ई धनुष दक्षयज्ञ विध्वंसक बाद जनक सीरध्वजसँ पहिलुक अनेको पीढ़ी पहिने निमिक जेठ पुत्र बिदेह देवरातकेँ सम्हारि क, रखबाक लेल देल गेल छलनि। आ से धनुष प्रयोग तेकरा बाद किओ नहि क, सकल छल, सीरध्वज जनक राम लछमनके संग अनैवला दूरद्रष्टा ऋषि विश्वामित्रकेँ ई जनतब दैत छथि। वाल्मीकि रामायण राम सीता विवाह प्रसंग आ धनुष भंग सन्दर्भमे दू टा महत्वपूर्ण तथ्य दैत अछि।

1.     मुनि विश्वामित्र ताड़का वध केर बाद अपन आश्रम सँ मिथिला राम लक्ष्मण के ई धनुष देखेबाक लेल अनने छलाह। सीताक संग विवाह लेल ओहि समय मिथिला नरेश बिदेह धनुष भंग यज्ञ नहि आयोजित कयने छलाह।पुत्रौ दशरथस्येमौ क्षत्रियौ लोकविश्रुतौ। द्रष्टुकामौ धनुःश्रेष्ठं यदेतत्त्वयि तिष्ठित- श्लोक ५ - ६७सर्ग- बालकाण्ड -वाल्मीकि रामायण एतद्दर्शय भद्रं ते कृतकामौ नृपात्मजौ। दर्शनादस्य धनुषो यथेष्टं प्रतियास्यतः ।। श्लोक ६-- ६७सर्ग- बालकाण्ड -वाल्मीकि रामायणविश्वामित्र राम लछमनकेँ ई धनुष देखेबाक लेल मिथिला अनलनि अछि। रामक परिचय दैत धनुष देखबाक बात छैक तोड़बाक नहि। वाल्मीकि केर अनुसार एहि ठाम धनुष देखनाइ महत्वपूर्ण तथ्य छैक।

2.     ई धनुष आठ चक्कावला वाहन पर लोहाक संदूकमे राखल गेल छल। जेकरा अनेको व्यक्ति मिलि घीचि क, बड़ा कठिनतासँ रामक सोझाँ आनि सकल रहथि।

ततः स राजा जनकः सचिवान्व्यादिदेश ह।

धनुरानीयतां दिव्यं गन्धमाल्यविभूषितम ।।

श्लोक २ – ६८ सर्ग- बालकाण्ड -वाल्मीकि रामायण

नृणां शतानि पञ्जाशदव्यायतानां महात्मानाम् ।

मञ्जूषामष्टचक्रां तां समूहस्ते कथंचन ।।

श्लोक ३ – ६८ सर्ग- बालकाण्ड -वाल्मीकि रामायण

 वाल्मीकि रामायण हाथमे उठा, प्रत्यंचा चढ़ा तुलसीदासक रामचरित मानस समान धनुषक चर्च नहि करैत अछि। वाल्मीकि केर शिव धनुष आठ चक्कावला वाहन पर राखल धनुष रहैक जेकरा सैकड़ो गोटे मिलि हिला डोला सकैत छलाह। ई धनुष रामलीलाक मंचपर या टेलीविजन सीरियलमे देखबैवला धनुष कथमपि नहि छल।

 से ओहि विशाल ओ भारी धनुषकेँ सीता अपन नेनपनमे एसकर एम्हरसँ ओम्हर राखि दैत छलीह। सीरध्वज जनक सीताक एहि असामान्य प्रतिभे केँ देखि सीता सँ अधिक समर्थ पुरुषक संग विवाह करेबाक निर्णय केने छलाह।

 धनुष एक टा प्रक्षेपक अस्त्र होइत छैक। एकर दू गोट भाग होइत छैक। पहिल धनुष आ दोसर बाण।वर्तमान समयमे एकर एक भाग हम लॉंचिंग पैड रूपमे देखैत छी आ दोसर भाग बाणकेँ ओहि लांचिग पैड पर राखल मिसाइल समान जे अपन लक्ष्य पर पहुँचि विध्वंस करैत छल होयत। त्रिपुरारी महादेव अपन अही धनुष सँ एकहि बाणमे त्रिपुर नामक असुरक अंतरिक्षमे बसल तीन नगर ध्वस्त कयने होयताह।

 तुलसीदास सिद्ध पुरुष छथि। अपना समयक राम भक्तकेँ ओ भोलेनाथक त्रिपुर नष्ट करैवला आइ समान मिसाइल नहि देखा सकैत छलाह तें मंच पर अभिनीत भ, सकैवला धनुष देखौलनि आ हम अहाँ धनुष नाम सुनिते अही धनुषक संकल्पना क, पबैत छी।

 मुदा जखन राम ओ सीताक विभिन्न लीला भूमि संग जोड़ि तथ्यकेँ देखबाक प्रयास करबैक तँ सत्य बुझबामे आओत। राम आ राक्षस सभक संग पूरा भारतमे विभिन्न ठाम संघर्ष भेल। रामक रामत्व उजागर भेनाइ तखन शुरु होइत अछि जखन ओ विश्वामित्रक संग जाइत छथि । हुनक यज्ञ रक्षा लेल आश्रमक समीप ताड़का यक्षिणीक वध करैत छथि। मारीच ओ सुबाहू केँ पराजित करैत छथि। डॉ रामअवतारक शोध ग्रन्थकेँ जखन पढ़ब आ लीला भूमि संग ओतुका परीक्षण करब तखन देखबामे आओत राम सीताक भारत भूमि पर की योगदान रहल छनि।

 सीता हमरा मैथिल समाजक सबसँ पैघ ऑइकॉन देखाइ छथि। सीता भूमिजा छथि। पिता केँ, से किओ नहि जनैत अछि। पालक पिता जनक सीरध्वज हुनका पाबि जनक परंपरामे, विदेह परंपरामे आइ धरि अमर छथि। आगुओ अमर रहताह। सीरध्वजकेँ छोड़ि आर कतेक जनक आ विदेहकेँ जनैत छी हम अहाँ ?

 मिथिलाक बहुत नीक इतिहास लिखने छथि विद्वान प्रोफेसर राधाकृष्ण चौधरी। बड़ा परिश्रम सँ लिखल एहि ग्रन्थमे जनक राजवंश पर नीक जकाँ विचार कयल गेल अछि। मिथिलाक नव पुरान बदलैत सीमा विभिन्न कालखण्डमे की रहलैक सेहो विवेचन कयने छथि विद्वान लेखक। जनिका मिथिलाक इतिहास ओ जनक राजवंशक परिचय चाही से एहि ग्रन्थक अध्ययन अवश्य करथि से निवेदन। मुदा चौधरी जी सेहो अपन सीमा देखबैत कहै छथि जे प्रमाणक संग जनक राजवंशक कालखण्ड वा राजाक सूची तैयार कयनाइ असंभव अछि।

 से वस्तुतः दुष्कर ओ अत्यन्त कठिन काज अछि जनक वंशावली तैयार कयनाइ आ ताहिमे सीरध्वज जनक आ सीताक स्थान तय केनाइ। प्रोफेसर चौधरीक इतिहासमे जनक राजवंश सँ सम्बन्धित एक टा आन सन्दर्भ हम जोड़य चाहैत छी जे हुनक ग्रन्थमे नहि अछि।

 ई अत्यन्त महत्वपूर्ण तथ्य अछि जे जनक परंपराक लोक मात्र दार्शनिक नहि छलाह। हुनका सबमे सँ किछु निश्चित रूपे नीक चिकित्सक रहल छलाह। यूरोपीय परम्परामे राजाक हाथकेँ दैवीय हाथ कहैत एक टा निपुण चिकित्सक होयबाक सेहो प्रमाण देल जाइत छैक। जनिका विशेष जनतब लेबाक हो लॉर्ड ऑफ द रिन्ग्स पढ़ि सकैत छथि। ई तथ्य आन यूरोपीय ग्रन्थमे सेहो भेटि सकैत अछि।

 भारत वर्षमे विभिन्न दर्शनक विस्तारसँ चर्च होइत अछि। महान दार्शनिक लोकनिक खूब बखान होइत अछि मुदा ई दार्शनिक शुद्ध लौकिक समस्याक समाधान करैवला रहल छथि हम अहाँ नहि जनैत छी। उदाहरण लेल जनक परम्पराक लोक एक टा योग्य चिकित्सक होइत छलाह आ विशेषज्ञ रूपमे हुनक रेफरेन्स आन चिकित्सक अपन ग्रन्थमे दैत छलाह, से कतेक लोक जनैत छी?

 भारतक दू गोट चिकित्सा ग्रंथ चरक ओ सुश्रुत संहिता प्रख्यात अछि। सुश्रुत संहिता शल्य चिकित्साक ग्रंथ अछि। तीन भागमे विभक्त एहि ग्रन्थक तेसर ओ अन्तिम ग्रंथ उत्तर तन्त्रमे नेत्र चिकित्सा अध्यायमे जनक केर उल्लेख शालाक्य तन्त्रक विशेषज्ञ रूपमे भेल अछि। ग्रन्थकार गछैत छथि, जे हमर मत अछि तेकर पुष्टि विदेह सेहो करैत छथि।

 इदानीं तत् प्रवक्ष्यामि तन्त्रमुत्तरमुत्तमम् ।

निखिलेनोपदिश्यन्ते यत्र रोगाः पृथग्विधाः ।। १-४-उत्तरतन्त्र सुश्रुत संहिता

 शालाक्यतन्त्राभिहिता विदेहाधिपकीर्तिताः ।

ये च विस्तरतो दृष्टाः कुमाराबाधहेतवः ।। १-५-उत्तरतन्त्र सुश्रुत संहिता

 शालाक्य तन्त्रकेँ समकालिक लेप्रोस्कोपिक सर्जरीक निकट राखल जा सकैत अछि। एहि तथ्यकेँ गप्प मानि फूकि क, उड़ायल नहि जा सकैत अछि। एतय ई ध्यानमे राखल जयबाक चाही जे हमर अहाँक योग विज्ञानक महत्वकेँ आइ पूरा दुनिया स्वीकार क, रहल अछि। अपना रहल अछि। योग शास्त्रक एक टा महत्वपूर्ण ग्रन्थ घेरण्ड संहितामे ह्दयक अवरोधकेँ दूर करबाक लेल रम्भा दण्ड यानि केराक थम्भ, बेंतक दण्ड आ हरिद्रा दण्ड तात्पर्य जे एकर एकटा लम्बा टिश्यूक उचित विधि उपयोग कयलासँ हृदय सम्बन्धी सब रोग गारण्टीपूर्वक ठीक होयबाक जनतब देल गेल अछि।

हृद्धौतिं त्रिविधां कुर्यद्दण्डवमनवाससा ।। ३५ घेरण्ड संहिता

रम्भादण्डं हरिद्दण्डं वेत्रदण्डं तथैव च ।

हृन्मध्ये चालयित्वा तु पुनः प्रत्याहरेच्छनैः ।। ३६ घेरण्ड संहिता

कफं पित्तं तथा क्लेदं रेचयेदूर्ध्ववर्त्मना ।

दण्डधौतिविधानेन हृद्रोगं नाशयेद्ध्रुवम ।। ३७ घेरण्ड संहिता

 आब हम अहाँक ध्यान मिथिलामे जन्मसँ मृत्यु धरि केराक फर, पात आ थम्भ दिस ल, चलय चाहब। केरा कियैक मिथिलाक संस्कृतिमे एखनो जीबि रहल अछि तेकर एक टा प्रत्यक्ष उदाहरण अछि ई प्रमाण। प्राचीनकालमे बेंतक खेती करबाक मिथिलामे आवश्यकता नहि छल कारण एतेक बेसी छोट-पैघ धार सालोभरि बहैत रहल छल जे बर्खाकालक बाद अनायास एकर फसिल स्वयं तैयार भ, जाइत होयत। मुदा केरा आ हरदि हमर अहाँक मिथिलाक बाड़ी झाड़ी आ खेत सब ठाम होइत रहल होयत आ एकर विविध उपयोग जनैवला विशेषज्ञ सेहो पर्याप्त संख्यामे रहल होयता। केरा आ हरदि दुनूक विविध प्रकार छैक। विविध उपयोग सेहो निश्चिते रहल होयतैक। केरा आ हरदि दुनूक विवध प्रकार फसिल मिथिलाक समृद्ध माटिमे बिना कोनो खास परिश्रमक होइत रहल होयत आ एहि प्रकारक कमर्शियल क्रॉप सभक वैल्यू एडेड चिकीत्सकीय उपयोग जनैवला लोक सब जातिक रहल होयताह।

 गोस्वामी तुलसीदास आ कबीर दू गोट युगान्तकारी चरित्र भारतीय इतिहासक छथि। एक सगुण राम आ दोसर निर्गुण रामक उपासक छथि मुदा दुनूक उद्देश्य एक अछि । आ से अछि अपन समाजक लोककेँ स्वस्थ, आत्मनिर्भर बना रामसँ जोड़नाइ । एतय मिथिलाक माली हालतक जनतब देबाक लेल कबीरक तँ नहि तुलसीदासक प्रमाण रामचरित मानसक बालकाण्डसँ राखय चाहब। तुलसीदास मिथिलाकेँ अत्यन्त समृद्ध कहैत छथि। राजा मन्त्री आ आमजनक बीच ओ कोनो पार्थक्य नहि पबैत छथि। बालकाण्डमे मिथिलाक वर्णन काल्पनिक नहि हम तथ्यगत मानैत छी।

 कारण तुलसीदास राम चरित मानसक रचना पूरा देश घुमलाक बादे कयने होयताह से कहैत अछि एहि ग्रन्थमे भारतक मध्यकालक लेल वस्तुस्थितिक वर्णन लेल देल गेल हुनक विवरण।

हुनक ग्रन्थसँ एक टा छोट सन प्रमाण मिथिलाक सामाजिक व्यवस्था, अर्थव्यवस्था, कला-संस्कृति ओ ताहिमे विशेष रूपसँ चित्रकला ओ नगरवर्णन लेल एतय राखय चाहब। गोस्वामी जी कहैत छथि

 बनइ न बरनत नगर निकाई। जहाँ जाइ मन तहँइँ लोभाई।।

चारु बजारु बिचित्र अँबारी। मनिमय बिधि जनु स्वकर सँवारी।।

धनिक बनिक बर धनद समाना। बैठे सकल बस्तु लै नाना।।

चौहट सुंदर गलीं सुहाई। संतत रहहि सुगंध सिंचाई।।

मंगलमय मंदिर सब केरें । चित्रित जनु रतिनाथ चितेरें ।।

पुर नर नारि सुभग सुचि संता। धरमसील ग्यानी गुनवंता ।।

अति अनूप जहँ जनक निवासू । बिथकहिं बिबुध बिलोकि बिलासू।।

होत चकित चित कोट बिलोकी। सकल भुवन सोभा जन रोकी ।।

 धवल धाम मनि पुरट पट सुघटित नाना भाँति।

सिय निवाल सुंदर सदन सोभा किमि कहि जाति।। बालकाण्ड -दोहा २१३

 एतय तुलसीदासक समयक मिथिलाक राजधानीक जँ कोनो योग्य इतिहासकार पर्याप्त श्रम ओ विशद शोधक आधार पर साम्य ताकथि तँ हुनका निराशा नहि होयतनि। उदाहरणस्वरूप मुगल बादशाह शाहजहाँ कालक राजधानी आ वर्तमान कालक दिल्लीक चाँदनी चौक आ लगपासक लोक आ दोकानसभक माली हालत केर तुलना क, सकैत छी हम अहाँ।

 भारतीय मध्यकालमे इस्लाम आक्रमणसँ बाँचल मिथिलाक राजधानी कतय छल, एकर राजा के छलाह आ तत्कालीन राजधानीक आर्थिक सामाजिक स्थिति की छलैक ताहिपर सम्यक काज हमरा नहि अभरल अछि।

 एतय हमर आशय स्पष्ट रूपसँ प्राचीन आ मध्यकालक मिथिलाके समृद्धि ओ एहिठाम विशिष्ट ज्ञान आधारित समाज सँ अछि। हमरा लोकनिक जनक, हमर अहाँक बिदेह मात्र दार्शनिक नहि छलाह। मिथिलाक जे भौतिक संपत्ति छलैक से वायवीय नहि अपितु ठोस लौकिक छलैक। एकर आधार मनुष्यक दैनन्दिनक जीवन यापनसँ जुड़लछलैक। मिथिलाक विद्वान मात्र पोथी पठन -पाठन नहि अपितु जीवनक सब पक्षसँ जुड़ल क्षेत्रमे विशेषज्ञता हासिल कयने छलाह।

 हमरा लगैत अछि जे विदेह, बिदेह उपाधि विशिष्ट ज्ञानमय देह रखैवलाक लेल छैक। ई कोनो एक व्यक्ति, एक जाति या एक वंशक लेल निश्चित रूपे नहि समेटायल रहल होयतैक। संस्कृत साहित्यमे शिव ओ हनुमान लेल विशुद्ध ज्ञानमय देह रखैवलाक रूपमे चर्च कतेको ठाम प्राप्त होइत अछि।

दुर्गा सप्तशतीक अर्गलाक आरंभे विशुद्ध ज्ञानमय देह सँ होइत अछि।

 विशुद्ध ज्ञान देहाय त्रिवेदी दिव्य चक्षुषे ।

श्रेयः प्राप्ति निमित्ताय नमः सोमार्ध धारिणे।। १ ।। अर्गला- दुर्गा सप्तशती

 मिथिलामे तीनू वेदक किताबी ज्ञान रखैवला तोता रटन्त पण्डित नहि अपितु एहि तीनू वेद केर मन्त्रक सत्यतः आ तत्वतः प्रयोगकर्ता लोकनि विदेह होइत छलाह। विशिष्ट ज्ञानमय देह रखैत छलाह। अपन ज्ञान ओ संपत्तिक वितरण समान रूपसँ अपन नागरिक सभक बीच करैत छलाह। बिदेहक राज तेँ अपन ज्ञानक लेल,भौतिक संपत्ति लेल पूरा भारतवर्षमे विख्यात छल। संपूर्ण भारतसँ तेँ चलि क, मिथिला अबैत छलाह गुणवान, ज्ञानवान ओ धन कमेबाक इच्छुक लोक।

 कतेको ठाम संस्कृत वाङ्गमयमे उल्लेख भेटि जायत, जतय विदेह राज पूछै छथि याज्ञवल्क्य सँ, कहू मुनिवर ज्ञानचर्चा लेल अयलहुँ अछि अथवा गौ लेल। एतय इहो ध्यातव जे हमरा लोकनि गौ केर अर्थ मात्र आइ काल्हुक गाय समान बुझैत छी, जखन कि गौ शब्द केर विविध अर्थ छैक। एकर प्रयोग सन्दर्भानुकूल फराक-फराक अर्थ रखैत छैक।

 परोक्त तथ्य सुश्रुत संहितामे विदेहाधिपतिक उल्लेख एक गोट विशेषज्ञ चिकित्सक सन्दर्भसँ प्रेरित भ, हम जनक राजवंशक लेल कयलहुँ अछि।

 प्रोफेसर राधाकृष्ण चौधरीक मिथिला इतिहासमे सुश्रुत संहिताक उल्लेख नहि अछि। प्रोफेसर चौधरी कौटिल्य ओ जातक ग्रन्थसँ मिथिलाक बिदेह राजवंशक अन्त होयबा संबंधी प्रसंगक बहुत नीक व्याख्या कएने छथि।

 जनक\बिदेह लेल हम दोसर सन्दर्भ हम शुक्रनीति सँ देबय चाहब।कौटिल्यक अर्थशास्त्रक संग टक्कर लइवला दोसर महत्वपूर्ण राजनीतिक आर्थिक ग्रन्थ उशना कृत शुक्रनीति अछि। एहि सँ हम किछु तथ्य राखय चाहब जे विशिष्ट ज्ञानमय देहक हमर अवधारणाकेँ पुष्ट करैत अछि। पहिने उशनाक संक्षिप्त परिचय आवश्यक अछि।

 उशनाक पहिचान बृहस्पतिक पुत्र रूपमे कयल जाइत अछि। राज चलेबाक नीति संबंधी ग्रन्थकार उशनाकेँ शुक्राचार्य वा देवताक विरोधी दानवक गुरु रूपमे सेहो कयल जाइत अछि। ई तथ्य कतेक ठीक वा नहि ठीक से एतय अभिप्रेत नहि अछि। भारतीय इतिहास कार वा यूरोपीय इतिहासकार लोकनिमे जे चारि वर्णक अवधारणा अछि तेकरा स्पष्ट चुनौती दैत तथ्य हम शुक्रनीति सँ राखि रहल छी।

 ओना हम कौटिल्यक अर्थशास्त्र आ उशनाक शुक्रनीति दुनू ग्रन्थकेँ एक वर्गमे रखैत छी आ दुनूकेँ भारतमे राज चलेबाक उत्कृष्ट प्रबन्ध ग्रन्थक रूपमे देखैत छी।

 उशना कहैत छथिः-

 न जात्या ब्राह्मणश्चात्र क्षत्रियो वैश्य एव न।

न शूद्रो न च वै मलेच्छो भेदिता गुणकर्मभिः।। १- ३८

 ब्रह्मणस्तु समुत्पन्नाः सर्वे ते किं नु ब्राह्मणाः?

न वर्णतो न जनकाद् ब्राह्मतेजः प्रद्यते ।। १-३९

 न वैश्यो न च वै शूद्रः कातरश्च कदाचन ।

सेनापतिः शूर एव योज्यः सर्वासु जातिषु ।। २-४३०

 ससंकर चतुर्वर्ण धर्मो अयं नैव यावनः ।

यस्य वर्णस्य यो राजा स वर्णः सुखमेधते ।। २- ४३१

 शुक्रनीति सँ ई चारि गोट श्लोक हमरे नहि संपूर्ण भारतीय राजकाज व्यवस्था ओ वर्णभेद पर विचार लेल महत्वपूर्ण स्थान रखैत अछि। जँ मिथिलाकेँ ध्यानमे राखि चर्चा आगाँ बढ़ाओल जाय तँ स्पष्टकहैत छथि उशना, ब्राह्मण, क्षत्रिय, वैश्य शूद्र जन्मसँ नहि गुण आ कर्मसँ तय होइत अछि। उशना चुनौती दैत छथि जँ जन्मसँ तय होइत छैक जाति ओ वर्ण,तँ की ब्राह्मण वर्ण ओ जातिमे उत्पन्न सब गोटे ब्राह्म तेज सँ संपन्न छथि?

एतय ध्यातव्य जे उशना कहि रहल छथि यवनकेँ छोड़ि चारू वर्ण सहित संकर वर्ण, सबमे जाहि वर्णक राजा बनैत अछि ओहि वर्णक लोक सुख करैत छथि। संगहि कहि रहल छथि बृहस्पतिक पुत्र ने तँ वैश्य आ ने शूद्रक ध्यान रखैत सेनापति बनेबाक चाही अपितु जे कायर नहि हो, शूर हो , वीर हो ओकरा सेनापति बनेबाक चाही, खाहे ओकर जाति किछुओ रहे। सेनापतिः शूर एव योज्यः सर्वासु जातिषु।

जँ कल्हणक राजतरंगिनी सहित कश्मीरक इतिहास पर लिखल प्राचीन ओ मध्यकालक पोथी सभक अवलोकन कयल जाय तँ तथ्यपरक अनेक आर सत्य सोझाँ आयत। मुदा से एतय नहि कतहु आन ठाम चर्च करब।

 एहि ठाम तँ सुश्रुत संहिता आ शुक्र नीतिसँ किछु तथ्य रखबाक मूल उद्देश्य ई अछि जे बिदेह परंपराक लोक क्षत्रिय छलाह वा ब्राह्मण वा आन वर्ण वा आन कोन जातिक सदस्य ताहि पर सन्देहजनक प्रश्न ठाढ़ करैत अछि उशनाक वकतव्य। कारण सब जातिक लोक राजा बनैत छलाह। जाहि जातिक राजा होइत छलाह ओकर लोक सुख करैत छलाह। सेनापित शूरवीर बनैत छलाह, जातिसँ एकर कोनो विशेष सम्बन्ध नहि छलैक।

 एहनामे बिदेह परंपराक लोक कोन वर्ण ओ जातिक छलाह ताहिसँ इतर महत्वपूर्ण तथ्य ई अछि जे ओ राजा छलाह। आ राजकर्मक संग चिकित्सा सहित आन कला जाहिमे युद्धकला महत्वपूर्ण स्थान रखैत अछि तेकरा सभक विशेषज्ञ छलाह।

 आ सीता तँ सहजे एक टा एहन नारी छथि जनिक बॉयोलोजिकल माता-पिताकेँ ल, क, कोनो जनतब नहि अछि । हुनका अकाल वेलामे हर चलबैकाल पाबि धन्य भ, गेल छलाह सीरध्वज जनक।

 सीता रामक समान अपन अनेको वंशक पूर्वजक कोनो इतिहास नहि रखैत छथि। नेनपनसँ अपन अतुलनीय मेधा आ कौशलक परिचय दैत छथि। एहि सीता सहित चारू बहिनक विवाह अवध केर चारि राजकुमार संग भेनाइ भारतीय इतिहासक एक टा युगान्तकारी घटना अछि। भारतीय संस्कृतिक निर्माणमे मिथिला ओ अवधक योगदान रहल अछि। रामक मर्यादा पुरुष भेनाइ सीता शक्ति पर निर्भर रहल अछि।

 एहनामे जानकी ज्योति जागृति यात्राक संकल्पना वर्तमान अवध रूपी उत्तर प्रदेश समान बिहार स्थित मिथिला भू भागक सर्वांगीण विकास लेल एकल तीर्थरूपमे सबसँ पहिने सीता प्राकट्य धाम सीतामढ़ी पुनौराधामक प्रति व्यापक जागरुकता बढ़ेबाक लेल कयल गेल।

 सीतामढ़ी सीताक प्राकट्य स्थान लेल अदौकाल सँ प्रसिद्ध अछि। बिना कोनो विवादक अछि मुदा एकर विकासक लेल राष्ट्रीय स्तर पर कोनो चेतना नहि रहलैक अछि। बिहार सरकार यत्किंचित प्रयास कयलक अछि मुदा जे चेतना ओ संकल्पना अयोध्या , काशी ओ मथुरा केँ ल, क, छैक से राष्ट्रीय राजनीतिमे समकालमे नहि देखल गेल छल।

 विगत एक दशक सं हम अनेक बेर सीतामढ़ी गेलहुँ। राष्ट्रीय स्तरक अनेको संगठनक प्रबुद्ध जनक संग चर्च कयलहुँ मुदा हुनका सभक सूचीमे सीतामढ़ी प्राथमिकतामे नहि छल। स्पष्ट रूपसँ जवाब भेटल जे अहाँ प्रयास करू, मिथिलाक लोक आगाँ बढ़थि हम सब संग देब। मुदा हम सीतामढ़ी लेल आगाँ नहि आयब।

 एहना परिस्थितिमे हमर मानब अछि जे जानकी जी निज प्राकट्य धामक उत्थान लेल स्वयं योजना बनौलनि। सीता उद्भव स्थिति संहारकारिणी थिकीह। पहिने अपन स्वामी श्रीरामक निज धाम अयोध्यामे हुनक जन्मस्थान पर भव्य भवन बनबौलनि आ तत्पश्चात निज धामक लेल जगलीह अछि।

 २०२१मे दिल्ली अयोध्या पदयात्रा क्रममे जानकी जन्म धाम सीतामढ़ी पदयात्राक जे इच्छा भेल छल तेकर पूर्णाहुति लेल १७ दिसम्बर २०२३ विवाह पंचमी पर स्वतः हुनके कृपासँ जानकी जीवन गाथा झाँकी लागल। हुनके प्रेरणासँ जानकी ज्योति जागृति यात्राक औपचारिक घोषणा भेल। आ हुनके योजनानुसार संपूर्ण मिथिलाक विकास लेल हुनक युगक ऋषि मुनिक स्थान सबकें समकालमे पुनः जगजियार करबाक लेल ई पोथी अहाँक हाथमे आयल अछि।

 मिथिलाक जाहि गाममे अहाँ रहैत होइ आ अपना गाम वा लगपास त्रेतायुगीन वा द्वापर युगीन वा प्राचीन कालक, मध्यकालक कोनो मंदिरक कोनहु प्रकारक तथ्यात्म सूचना अछि तँ अवाज उठाउ। हमरा लोकनि संग मिलि मिथिलाक स्वर्णिम अतीतकेँ फेरसँ जिया सकैत छी। गौरवकेँ घुरा सकैत छी। केन्द्र वा प्रान्त दुनू सरकार लग प्राचीन गौरवमय भारतक पुनरोत्थान लेल योजना छैक। एहि योजनाक लाभ हमरा अहाँकेँ भेटि सकैत अछि जँ प्रयास संगठित रूपसँ दीर्घ काल धरि चलय। सीतामढ़ीकेँ केन्द्र बना एकर लगपासक पचास सौ किलोमीटरक परिधिमे प्राचीन भारतक अनेको स्मृति स्थल केँ हमरा लोकनि जिया सकैत छी। अयोध्या समान अपन मिथिलाक सांस्कृतिक उत्थान लेल अभियान चला सकैत छी।

 मिथिलाक धीया सीताकेँ हम अहाँ सब गोटे अपन मानैत छी। हमर अहाँक जाति किछु हो राम हमरा सभक पाहुन छथि। आ कने पाछाँ जा क, ताकब तँ सिंहेसर स्थानक अधिपति श्रृंगी ऋषि छथि । इएह श्रृंगी ऋषि रामक जन्म लेल यज्ञ करबाक हेतु मिथिले सँ चलि अयोध्या गेल छलाह। तँ एहनामे हमरा अहाँक संबंध अयोध्यासँ दोहरा अछि। श्रृंगी ऋषिक पत्नी शान्ता अयोध्या नरेशक पुत्री थिकीह। मिथिला आ अवधक बीच गोलट संबंध रहल अछि। अयोध्या मथुरा आ काशी केँ ल, अवध अगुआ रहल अछि तँ आउ हम अहाँ मैथिल समाजक लोक मिलि अपन मिथिला लेल अभियान चलाबी। एहि अभियानक पहिल समग्र विकास योजना सीता प्राकट्य धाम अछि।

सनातन धर्मक सब सीता राम अनुरागीसँ आह्वान आउ पुनौराधाम सीतामढ़ी। एक टा दीप जानकी प्राकट्य धाममे लेसि मिथिलाक ज्योति सँ अपन घर आंगन ज्योतित करी।

Get the next one

New writing, as it is published. Nothing else, and no forwarding of your address.

Comments

Comments are read before they appear.